मैथिली कविता

              "मन्दिर-मस्जिद"

हम कवि छी, क  ट  नहि जायब।
कलम  घसि,   लुत्ती   सुलगायब।।

एक  कलम,  सर्वोच्च  चलैऽ जौं।
हिन्दू धर्मक,  मान    करैऽ    जौं।।

हम सब कखनहुॅ, नहि अगुताऽव।
हम कवि छी, क  ट  नहि जायब।।

देशक नियम, मनुखक लेल अछि।
राम  राज्य  लेल,   करू   विचार।।

केऊ नहि रोकत, मंदिर बनबै सॅऽ।
शुद्ध  मोन   करि,   होऊ    तैयार।।

हम सब नेता लग,  नहि   जायब।
हम कवि छी, क  ट  नहि जायब।।

छल निर्लज्ज, जे मंदिर तोरलक।
ताहि जगह वो, मस्जिद जोरलक।।

शर्म   ग्लानि,  डर   भय  सॅऽ  फेर।
नहि कहियो केऊ, कलमा पढलक।।

मोदी    योगी    के   रहैत    आब।
एहन    मौका    कहिया    पायब।।

हम कवि छी, क  ट  नहि  जायब।
कलम   घसि,   लुत्ती   सुलगायब

         "वर्ण धारणा"

खेती    बारी    सभ   बुरल,
काम  अछि कामगार  नञ।
पढि लिखी में पूँजी फसल,
ज्ञान  अछि  रोजगार  नञ।

तैओ नञ चिंता अछि हमरा,
हम ब्रह्म जनित तपस्वी छी।
दुर्भिक्ष परत त्अ  वैह मरत,
हम धर्म कर्म सँ भिक्षुक छी।

दुःख परितहि वो शरण आओत,
जे   नाचि  रहल  आरक्षण  पर।.
त्राहि   माम्  करि   करि   दौरत,
और आबि खसत फेर पैरहिं पर।

फेर द्अ दक्षिणा प्रणाम करत,
और   लेत   हमर  आशीर्वाद।
फेर   ओहिना   सृष्टि   चलत,
और   दुनियां   हैत   आवाद।





Comments

Popular posts from this blog

हिंन्दी कविता

दृष्टिकोण