मैथिली भजन
( सभटा भजनक रचनाकार:- जयकिशन चौधरी )
गणेश लक्ष्मी आरती।
गाय'क घीयक दीप जला,
गणपतियक आरती उतारू हे।
संग बैसल छथि लक्ष्मी माता,
मां के आरती उतारू हे।।
मातु वचन शिव क्रोध के कारण,
सिर छेदन भेल गणपति के।
गजमुख बनि जखन वो उठलाह,
तीनहुॅ लोक आनन्दित भेल।।
लक्ष्मी सरस्वती महाकाली,
सब देवी वरदान देलन्हि।
ब्रह्मा विष्णु महेशक वर सॅऽ,
प्रथमम् पूज्य गणेश भेलन्हि।।
सुखकर्त्ता शिव पुत्र कहावथि,
दु:खहर्त्ता गौरी नन्दन।
लक्ष्मी मां के संग बैसी कऽ,
बाँटी रहल छथि सुख,अन्न धन।।
एक देव गणपति के पूजूँ,
सबटा विघ्न कलेष मिटत।
सर्व देव के पूजन के फल,
एकहि ठाम अनन्त मिलत।।
गाय'क घीयक दीप जला,
गणपतियक आरती उतारू हे।
संग बैसल छथि लक्ष्मी माता,
मां के आरती उतारू हे।।
कुलदेवी वन्दना ।
वंदना करू दिल सँऽ अपन कुलदेवी के।
ध्यान धरु मन में अपन कुलदेवी के।।
नित प्रातः उठि नहा ली,
चन्दन घसि लेप लगावी।
चुटकी भरि अछत चढ़ा कऽ,
अरहुलक फूल चढाबी।
कर जोरि प्रार्थना करी अपन कुलदेवी के।
ध्यान धरी मन में अपन कुलदेवी के।।
पान सुपारी चढाबी,
फल लडडूक भोग लगाबी।
घीयक दीप जरा कऽ,
मन सँऽ सब आरती गाबी।
शीश झुका आशीष लियऽ कुलदेवी के,
ध्यान धरु मन में अपन कुलदेवी के।
Comments
Post a Comment